अपन मिथला - कबिता

  • साउन २४, २०७९
  • १४९३ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

उर्वर भुमि स भरल मिथला , घर घर अन्न भण्डार छै।

आमक गाछी कोयल कुहके , मौसम सदावहार छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै।

हरियर हरियर बारी बगैंचा , हरियर खेत खरिहान छै।

रंगिबिरंगी फुल खिलाइल मिथला स्वर्ग समान छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

अषार महिना बेङ बजै छै , मधुर मधुर गीत गाबै छै।

संगीतक धुन मे बोलै चिरैया , भमरा नाच दिखाबै छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै।

राइत अनहरिया भुकभुक बरै भगजोगनी राती के मान बढाबैछै।

चाइर पहर मे नरहिया बोले समय के ज्ञान कराबै छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

सुवह प्राती संझा आरती , भजन प्रभुके गाबै छै।

मठ मंदिर मे बैठ पुजारी , प्रभुके भोग लगाबै छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति छै ।

सीता माइ के जन्मभूमि , जनकपुर मिथलाके सान छै।

सुगन्ध भरल यै धर्ती पर, मिथला वासी के अभिमान छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै ।

वन जंगल और ताल तलैया यै धर्ती पर विध्यमान छै।

बागमती कोशी कमला जैसन नदि, प्राकृतिक के वरदान छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै -२।

लेखक: राज कुमार साफी 

प्रतिक्रिया दिनुहोस

लहान नगरपालिकाबाट मृ ...

ओम प्रकाश यादव लहान, कात्तिक ८ । लहान नगरपालिकाले सामाजिक उत्तरदायित्व अन्तर्गत निरन् ...

पूर्व स्ववियु सभापति ...

लहान, कात्तिक ८ । जे.एस. मुरारका बहुमुखी क्याम्पस लहानका पूर्व स्ववियु सभापति रामकृष्ण यादवको पहलमा ...

भव्य र सभ्य तरिकाले ...

अजय मिश्र, कपिलवस्तु , कार्तिक ८। कपिलवस्तुको कृष्णनगर लगायत विभिन्न स्थानमा लक्ष्मी पूजाको आवसरमा स ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१