ताजा समाचार

अपन मिथला - कबिता

  • साउन २४, २०७९
  • १८१७ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

उर्वर भुमि स भरल मिथला , घर घर अन्न भण्डार छै।

आमक गाछी कोयल कुहके , मौसम सदावहार छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै।

हरियर हरियर बारी बगैंचा , हरियर खेत खरिहान छै।

रंगिबिरंगी फुल खिलाइल मिथला स्वर्ग समान छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

अषार महिना बेङ बजै छै , मधुर मधुर गीत गाबै छै।

संगीतक धुन मे बोलै चिरैया , भमरा नाच दिखाबै छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै।

राइत अनहरिया भुकभुक बरै भगजोगनी राती के मान बढाबैछै।

चाइर पहर मे नरहिया बोले समय के ज्ञान कराबै छै।

अपन मिथला महान , मिथलाके संस्कृति महान छै ।

सुवह प्राती संझा आरती , भजन प्रभुके गाबै छै।

मठ मंदिर मे बैठ पुजारी , प्रभुके भोग लगाबै छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति छै ।

सीता माइ के जन्मभूमि , जनकपुर मिथलाके सान छै।

सुगन्ध भरल यै धर्ती पर, मिथला वासी के अभिमान छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै ।

वन जंगल और ताल तलैया यै धर्ती पर विध्यमान छै।

बागमती कोशी कमला जैसन नदि, प्राकृतिक के वरदान छै।

अपन मिथला महान , मिथला के संस्कृति महान छै -२।

लेखक: राज कुमार साफी 

प्रतिक्रिया दिनुहोस

पालिकास्तरीय क्रिकेट ...

ओम प्रकाश यादव लहान, असोज २३। भगवानपुर गाउँपालिकाको आयोजनामा सञ्चालित पालिकास्तरीय क्रिकेट प्रतियोगि ...

भगवानपुरमा पालिकास्त ...

ओम प्रकाश यादव लहान, असोज २३। सिरहाको भगवानपुर गाउँपालिकामा उन्नति परियोजनाअन्तर्गत पालिकास्तरीय किश ...

नरहामा नागरिक सुनुवा ...

रहमुल, लहान, २२ असोज । सिरहाको नरहा गाउँपालिकामा स्थानीय नागरिकका समस्या, गुनासा तथा सार्वजनिक सेवा ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१

➤