मैथली कबिता - " सुपुत्र "

  • कार्तिक १७, २०८०
  • १४३२ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई हम छि तोहर सुपुत्र।
अंग हमर मे रंग तोहर छौ , जान हमर पहचान तोहर छौ नै कह माई कुपुत्र - नै कह माई कुपुत्र ।
नौ महिना बोझ उठौले ,अमृतपान दूध पियौले  तोहर वरा उपकार गे माई -तोहर वरा उपकार छौ ।
दुनियाँ देखौले सिना स लगौले  हात पकैर चलना सिखौले, हमरा उपर तोहर छौ अधिकार।
मुक्ति हमर तोहरा चरणमे दुनियाँ लागै बेकार गे माई - दुनियाँ लागै बेकार ।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई -हम छि  तोहर सुपुत्र ।
तोहरे वंशके पालनमे घर स रहै छि दुर गे माई -घर स रहै छि दुर ।
गरिबी निर्धन के कारण कर्म स छियौ मजबुर - कर्म स छियौ
मजबुर ।
तोहरे जोरल नाता रिस्ता बनल छै हमर ससुर गे माई
हुनके बेटि बात नै माने कि छै हमर कसुर -कि छै हमर कसुर।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई - हम छि तोहर सुपुत्र ।
जीवन भर हम भटैक रहल छि सुख समृद्धि के खोजी मे,
बेइमान बनल छै हमर नसिवा टका नै रहैय गोजि मे।
मान हमर सम्मान हमर , तुहि हमर भगवान  गे माई
हृदय के भित्र नाम तोहर छौ सादर हमर प्रणाम- सादर हमर प्रणाम ।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माइ नै कह माई कुपुत्र- नै कह माई कुपुत्र ।
माई गे माई जग स सुन्दर गे हमर माई ।
लेखक: राज कुमार साफी

प्रतिक्रिया दिनुहोस

कपिलवस्तुको सिमाक्षे ...

कपिलवस्तुको जिल्लाकाे विजयनगर गां पा गणेशपुर सिमा क्षेत्र हुँदै नेपालमा खसीको तस्करी बढेको छ समयमा व ...

कृष्णानगरमा बहादुरगं ...

कपिलवस्तु , मंसिर १९ । नेपाल नेत्रज्योति संघअन्तर्गत सञ्चालित बहादुरगञ्ज आँखा अस्पतालले कृष्णनगर नगर ...

लहानमा चारदिने तालिम ...

रहमुल लहान, १९ मंसिर । व्यवस्थापनमा जलवायु सहनशीलता एकीकृत गर्ने उद्देश्यले लहानमा चारदिने तालि ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१