ताजा समाचार

मैथली कबिता - " सुपुत्र "

  • कार्तिक १७, २०८०
  • १६७९ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई हम छि तोहर सुपुत्र।
अंग हमर मे रंग तोहर छौ , जान हमर पहचान तोहर छौ नै कह माई कुपुत्र - नै कह माई कुपुत्र ।
नौ महिना बोझ उठौले ,अमृतपान दूध पियौले  तोहर वरा उपकार गे माई -तोहर वरा उपकार छौ ।
दुनियाँ देखौले सिना स लगौले  हात पकैर चलना सिखौले, हमरा उपर तोहर छौ अधिकार।
मुक्ति हमर तोहरा चरणमे दुनियाँ लागै बेकार गे माई - दुनियाँ लागै बेकार ।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई -हम छि  तोहर सुपुत्र ।
तोहरे वंशके पालनमे घर स रहै छि दुर गे माई -घर स रहै छि दुर ।
गरिबी निर्धन के कारण कर्म स छियौ मजबुर - कर्म स छियौ
मजबुर ।
तोहरे जोरल नाता रिस्ता बनल छै हमर ससुर गे माई
हुनके बेटि बात नै माने कि छै हमर कसुर -कि छै हमर कसुर।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माई - हम छि तोहर सुपुत्र ।
जीवन भर हम भटैक रहल छि सुख समृद्धि के खोजी मे,
बेइमान बनल छै हमर नसिवा टका नै रहैय गोजि मे।
मान हमर सम्मान हमर , तुहि हमर भगवान  गे माई
हृदय के भित्र नाम तोहर छौ सादर हमर प्रणाम- सादर हमर प्रणाम ।
तोहर अंशके हमर शरिरिया हम छि तोहर सुपुत्र गे माइ नै कह माई कुपुत्र- नै कह माई कुपुत्र ।
माई गे माई जग स सुन्दर गे हमर माई ।
लेखक: राज कुमार साफी

प्रतिक्रिया दिनुहोस

माछ–मरुवा देखि निर्ज ...

रहमुल, लहान, १८ असोज । मधेस–मिथिलाको लोकजीवनमा पुस्तौँदेखि विशेष आस्था, विश्वास र सांस्कृतिक प ...

कटहरियामा नेपाली कम् ...

रामअधार यादव, रौतहट, असोज १८ । नेपाली कम्युनिस्ट पार्टी कटहरिया नगरको समायोजन बैठक सम्पन्न भएको छ। ब ...

बुवाकै अनुगमनमा नवीक ...

रंजित चौरसिया वीरगंज १८ असोज। वीरगञ्जस्थित नेशनल मेडिकल कलेज तथा शिक्षण अस्पतालमाथि राष्ट्रिय स्वतन् ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१

➤