मिथला दर्पण

  • कार्तिक २, २०७९
  • १४५९ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

कोशी गण्डक गंगा हिमालय- बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२।

ऋषिमुनि के तपोभुमी - जनकपुर तिर्थ धाम कहावे ।

मिथलाक नारी परम संस्कारी - देख बरा घुंघट लगावे -२ ।

साहस धैर्य के अपरम्पारी - सीता माइके याद दिलावे ।

जब बरहे अत्याचार नारी शक्ति पर- दुर्गा माइके रुप दिखावे -२।

कोशी गण्डक गंगा हिमालय - बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२ ।

प्राण प्रदानक अन्न फल पावे- निर्मल जलके नदिया बहावे।

पान मखान स मिथला जाने - हरियर पान मैथिल चबावे-२।

जितिया चौरचन दशैं दिवाली, छठी माइके पुजन मे - घर घर मे खुशिया मनावे -२।

कोशी गण्डक गंगा हिमालय - बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२।

आइल वसन्तक ऋतुमे मिथलानी सब चोटि फहरावे ।

रंग भंग मे मातल मैथिल - झुम झुम के होलि गीत गावे -२।

बचपन मे दादिमाइ - गीत गाके लोरि सुनावे ।

दुलार करौत दादाजी ने - पुर्वजके ईतिहास पढावे -२।

कोशी गण्डक गंगा हिमालय - बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२।

जाती धर्मके बात नै करियौ हम सब मैथिल एक समान ।

धोती कुर्ता गम्छा पगरी - दुनियाँ मे हमर पहचान -२ ।

भोज भण्डारा करैछै मैथिल , करैछै घर घरमे अन्न दान।

सोमबारी और मंगलबारी पावन मे मिथलानी भेल परेसान-२।

कोशी गण्डक गंगा हिमालय - बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२।

प्रेमक रंगमे रंगल छै मैथिल प्रेमक बनल पुजारी ।

प्रेमभाव स नाता जोरे जैसन दशरथजी ने जनकजी के द्वारी ।

घर मे आइल पाहुनके स्वागतमे- साली परहै छै गाली ।

बैठक कुर्सी लगाके साली - खिस्सा देलक पसारी-२ ।

छप्पन व्यञ्जन बनाके साली भोजन परोसे फुलहा थारी ।

मान दान होइय बरा , जब मैथिल गेल ससुराली-२ ।

कोशी गण्डक गंगा हिमालय बिचमे सुन्दर मिथला बिराजे-२।

लेखक: राज कुमार साफी

प्रतिक्रिया दिनुहोस

पोखरियाका लेखापाल मन ...

रंजित चौरसिया,वीरगंज ७ असार । पोखरिया नगरपालिकाका लेखापाल मन्दिप महतोको गाउँ देखि वीरगंज सम्म करिब २ ...

नवराजपुर गाउँपालिकाम ...

ओम प्रकाश यादव, लहान ७ । सिरहा जिल्लाको नवराजपुर गाउँपालिकामा शिक्षा, युवा तथा खेलकुद शाखाको आयोजनाम ...

अन्तर विद्यालय स्तरी ...

रहमुल लहान ७ असार । "कला संस्कृति हाम्रो स्वाभिमान । समृद्ध सखुवानन्कारकट्टी हाम्रो पहिचान" मुल ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१